Jump to content

User:Lok-Maithili

From Wikipedia, the free encyclopedia


लोक–मैथिली (LOk-MAITHILI)[1]

[edit]


जन–जनके बोली लोक–मैथिली अछि । ब्राह्मणेत्तरक बोलीके लोक–मैथिली कहल जाइत अइछ । अहिमे सोलकन, पिछडावर्ग, अति पिछडा, दलित, जनजाति, आदिवासी के भाषा, भाषिक, बोली, शैली मान्यता देल गेल अइछ । नेपालक सप्तरी[2], सिरहा, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, सुनसरी, मोरंग आ भारतक बिहारके मधुवनी, दरभंगा, सीतामढी, सहर्षा, सुपौलसहितके जिलामे बसोबास कएनिहार ९० प्रतिशत आबादीक भाषा लोक–मैथिली अछि । भुसुक राउत, डाकसहितक बोलीके लोक–मैथिलीके रुपमे मान्यता अइछ ।  

ब्राह्मणेत्तर, भाषा आ साहित्यः

[edit]

सामान्य बुझाईमे गइर–ब्राह्मणकेँ ब्राह्मणेत्तर कलह जाइत अछि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे अहि शब्दक प्रयोग बहुत कम भेटैक छैक । मुदा मैथिली भाषा, संस्कृति, साहित्यसहितमे ब्राह्मणवाद हाबी भेलाक कारण किछु समय एम्हर एहि शब्दक प्रचलन घनगर रुपमे फेरसँ शुरु भँ गेल अछि । पहिने साहित्यकेँ ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर रुपमे विभाजन कएल गेल बात किछु प्रकाशित सामग्री सबमे भेटैत अछि । कोनो भी भाषामे साहित्यकँे महत्वपूर्ण अंग मानल गेल अछि । साहित्यक रिढ कहल जाइत अछि भाषाकेँ । साहित्य साक्ष्य दू प्रकारकँ होएत अछि–धार्मिक साहित्य आ धर्मनिरपेक्ष (लौकिक) साहित्य । धार्मिक साहित्यकँे अन्तर्गत ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर ग्रंथ अबैत अछि । वेद, पुराण, उपनिषद्, रामायण, महाभारत, स्मृति ग्रंथ इत्यादि ब्राह्मण साहित्यकँे अंतर्गत आ जैन तथा बौद्ध रचना सब ब्राह्मणेत्तर साहित्य अन्तर्गत अबैत अछि (सत्य प्रकाश, सन् २०१८) । एहिमे कबिरक बाणी, रवि दाससहितकँ सेहो जोडि सकैत छि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे ब्राह्मण साहित्यक प्रभाव बड बेसी भेटैत छैक । कृर्तिम पात्र खडा ककेँ ‘धार्मिक गुलाम’ बनबैयवला मिथक कथा सब बहुत प्रचलनमे अछि । एहिमे सबसँ बेसी ओझरायल ब्राह्मणेत्तर जाति/समुदाय भेटैत छैक । ब्राह्मणवादी मिथक सबकँे प्रभावमे एतौहका मूल निवासी वा ब्राह्मणेत्तर संस्कृतिवला लोक सब अपन बृद्धिमान, उदार आ न्यायप्रिय राजकँे प्रतिमानकँे भूल जाइत अछि, बिसरि गेल अछि ।

मैथिलीभाषी क्षेत्रमे ब्राह्मण बाहेककेँ ब्राह्मणेत्तर मानल गेल अछि । तेँ ओ सब जे बजैत–भुकैत छथि, से ब्राह्मणेत्तर भाषा भेल आ ई भाषाक टोन ब्राह्मण सँ अलगे होइत छैक । अखनोधरि मैथिलीमे ओहि टोनकेँ मान्यता कथित ‘मानक जातिक’ महाजन लोकनि नहि देने छथि । मुदा कहैत जरुर छथि जे ‘अहाँ जे बजैत छि, सेहा मैथिली थिक’ । ई नारा व्यवहार आ कार्यान्वयनमे शून्य देखल गेल अछि । ओहुना मैथिली भाषी क्षेत्रमे अतितमे ब्राह्मणवादीद्वारा चार वर्ण (ब्राह्मण, क्षत्रिय, वैश्य आ शुद्र), पचपनियाँ, सोलकन, पिछडावर्गसहितकँे विभाजित कएले गेल छल । आब ब्राह्मणेत्तरकँे रुपमे भँ रहल अछि । एहन परिस्थिति एनाई दूर्भाग्यपूर्ण थिक । एहन अवस्था किएक आएल अछि ? कि मैथिली ब्राह्मणेत्तरकेँ नहि छियैक ? यदि छियैक त ओकरा सबकेँ अहि भाषासँ जोडबाक लेल प्रयत्न किएक नहि भेल आ भए रहल अछि ?...एहने बहुत रास प्रश्न आ जिज्ञासा वर्षौसँ सार्वजनिक भँ रहल अछि । समाधान दिस किनको ध्यान किएक नहि जा रहल छनि ?

ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर भाषा/साहित्य/ग्रंथ दू फराक विषय थिक । ब्राह्मणेत्तर साहित्य सबमे, खास ककेँ मैथिलीभाषी क्षेत्रमे पसरल जकाँ विभिन्न ‘वाद’ वा जातिगत विभाजनक बात नहि भेटैत छैक । ब्राह्मणेत्तर साहित्य –बौद्ध ग्रन्थ त्रिपिटक, जैन ग्रंथ, जातक कथा सब अछि, एकरा अध्ययन कएलाक बाद एहा निस्कर्ष निकलैत छैक । अई साहित्य अन्तर्गत सर्वाधिक प्राचीन ग्रन्थ त्रिपिटक अछि । ई सर्वाधिक प्राचीन बौद्ध ग्रन्थ सेहो अछि । त्रिपिटक तीन अछि–सुत्त पिटक, विनय पिटक, अभिधम्म पिटक । सुत्त पिटकमे बुद्धकँे धार्मिक विचार आ वचन संग्रहित अछि , एकडा वौद्ध धर्मकँे इनसाइक्लोपीडिया कहल जाएत अछि । विनय पिटकमे बौद्ध संघकँे नियम, अभिधम्म पिटकमे बौद्ध दर्शनकँे विवेचना आ जातकमे बुद्धकेँ पूर्व जन्मकँे काल्पनिक कथा सब भेटैत अछि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे.ब्राह्मणेत्तर साहित्यक चर्च सेहो मुश्किलसँ होयत अछि

मानकिरणकेँ नाम पर विभेद

[edit]

ब्राह्मणेत्तर मैथिलीभाषी आमजनकेँ बोली, लय, शैलीकेँ कथित ‘मानक जातिक’ लोक सभ मैथिली मानिते नहि छथि । तेँ मैथिलीक वर्षौसँ दूर्भाग्यपूर्ण नियति भोगि रहल अछि । शुद्ध आ विशुद्ध या अशुद्धकेँ लडाई जाधरि मैथिलीभाषामेँ रहत एकर उन्नयन आ विकास असंभव अछि । छुत, अछुत, अछोप... बला बात मैथिलीभाषी बहुत झेललक/खेपलक अछि । आब ‘हम आ ओ’ बला बात मैथिलीमें दुर्भाग्यपूर्ण अछि । भाषाविद् डा.रामअवतार यादव कहैत छथि– ‘मानक मैथिलीक प्रचलनक आधार भाषावैज्ञानिक नहि भ’ सामाजिक आ भाषावैज्ञानिकेतर अछि । जाति, शिक्षा, पारिवारिक वा सामाजिक पृष्ठभूमि, सामाजिक मनोवृत्ति आदि सन भाषावैज्ञानिकेत्तर कारक तत्वक पृष्ठभूमिमँे एहि मानक मैथिलीक आधारशिला स्थापित भेल अछि ओ खास क’ ब्राह्मण आ (कर्ण) कायस्थ जातिद्वारा अपना–अपना बोलीकेँ उत्तम, स्तरीय ओ विशुद्ध मैथिली बुझि अभिमान करब एहि मानक मैथिलीक विशेषता मानल जाइत अछि । मिथिलाक ब्राह्मण ओ कायस्थ एक प्रकारक कृत्रिम ‘हम–ओ’ भिन्नताक सृजन क’प्रचण्ड रुपेँ एहि कुत्सित भावनासँ ग्रस्त छथि’ (मैथिलीक भाषिक वैविध्य : औपभाषिक ओ मानक स्वरुप, १९९९[3]) । डा.यादव मैथिलीक मानकक निर्धारण भाषा बैज्ञानिकद्वारा होए, से कहैत छथि । मुदा आब बागमतिमेँ बहुत जल प्रवाहित भए चुकल अछि , पानिबहि गेल अछि, तेँ भाषाक मानक जन–जनकेँ बोली, शैली, लय, तर्जसहितकँे आधार पर होमाक चाहिँ । लोक सब आब एहेन मैथिली भाषाक प्रतिक्षामें छनि, जहिमे ओकरा सबहक अपन बोली समावेश होय, ओ सब सेहो अपनत्व भावनाक साथ पढय आ लिखय सकैय, नेपाली भाषा जँका ओकरा सबहक अपने मातृभाषा दोसर भाषाक रुपमेँ नहि बनौक....।

आम मैथिलीजनकेँ मैथिलीभाषाप्रतिकँे त्रास आ भयकेँ अंग्रेजी विद्वान पोल आर ब्रास सेहो पुष्टि करैत लिखति छथि– ‘मैथिलीभाषी समाजक भाषिक दुगोलाक चलते मैथिली भाषाक विकास अन्य भाषाक तुलनामे मंथर गतिसँ भेल अछि । छात्रलोकनि मैथिली पढवामे एहि लेल हिचकिचाइत छथि जे ओ जाहि वत्र्तनीमे लिखताह ताहिसँ भिन्न वत्र्तनीकेँ मानयवला यदि परीक्षक भ’गेलथिन त’ हुनक अंक कटि जयतनि ’(ल्याङ्गवेज, रीलीजन एण्ड पोलिटिक्स इन नोर्थ इण्डिया, १९७४[4]) । ब्राह्मणेत्तर लोकनिकेँ अहि डर÷त्रासक निर्वारणकर्ताकँे खोजि मैथिलीभाषी क्षेत्रमें दशकौं पहिनेसँ भए रहल अछि । अहि विषय पर कोहि दादा कहबैक लेल निकलूँ ? हाँ, अहिकेँ लेल ‘अश्व शक्ति’ बढेनाय परम आवश्यक सेहो अइछे । ई शक्ति प्राप्तिक लेल मैथिली पत्रकारिताके अस्त्रकेँ रुपमे प्रयोग करबाक सुझाब नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानसँ प्रकाशित आङन पक्रिकामे अछि । पत्रिका अनुसार, विभिन्न भाषाकेँ अपन–अपन महत्व आ पहिचान होइत अछि । मैथिली भाषा ओहिमें सम्भवतः सबसँ उपर आ आगाँ अछि । एकर विरासत आ इतिहास आन कोनो भाषासँ बेसी गरिमामय अछि । परञ्च मैथिली डेगाडेगी मात्र बढिरहल अछि । अहि भाषाक उत्थानक लेल सरोकारवला सभकें ‘अश्व शक्ति’ बढेनाई आवश्यक अछि । अहि शक्तिकेँ प्राप्तिक लेल मैथिली पत्रकारिताकें एकटा अस्त्रक रुपमे प्रयोग कएल जा सकैत अछि (आङ्न,४०ः२०७५) [5]

मैथिली भाषामे ब्राह्मणेत्तर मैथिली भाषीकँे महत्वपूर्ण योगदान छलैक,अछि आ रहत । डाकवचन एकर एकगोटा साक्षात प्रमाण थिक । मैथिली साहित्यक प्रारम्भ डाकवचनसँ भेल अछि । ओना, इतिहासकार लोकनि ज्योतिरीश्वरकृत वर्ण रत्नाकरसँ एहिसात्यिक विवेचन–विश्लेषण शुरु करैत छथि, मुदा से उचित नहि । एहिसँ इतिहासकार सभक दृष्टि–सीमा तथा सामथ्र्यहीनता तँ देखार होइते अछि, मैथिली भाषा–साहित्यक कतेक अहित भेल अछि सेहो ध्यान देबाक विषय थिक । असलमे मौखिक साहित्यकेँ साहित्य नहि कहब, ओकर सोध–अनुशन्धान नहि करब जाहि मानसिकताक देन अछि तकर परिणाम मैथिली साहित्यक इतिहाससे नहि, सम्पूर्ण मिथिला–मैथिली भोगि रहल अछि (डाक–दृष्टि) । बहुत रास विद्वान लोकनि डाकवचनकँे लोकसाहित्यकँे उपमा दैति छथि । खास ककें उदारवादी मैथिली साहित्यकार त अहि दिस अपन कलम चलबैइते आबि रहल अछि । डाकवचन लोकसाहित्य, मौखिक साहित्य आ लोककथन अछि((ऐऐ) । डाकवचन एकटा मौखिक साहित्य अछि , एकरा सैकडो वर्ष धरि एकर वाचिकेँ रुप प्रचलित रहल बात दूर्भाग्यपूर्ण अछि । बाह्मणेत्तर साहित्य भेलाक कारण डाकबचनकँे अहि अवस्थासँ गुज्र पडल । ओना आब त लिखित रुप सेहो उपलब्ध भँ रहल अछि । मुदा मौखिक साहित्य के साहित्यक कोटी ने नहि रखनिहार लेखक सभ एकरा साहित्य मानैय लेल तयार एखनो नहि अछि ।

अपभ्रंश शब्द आ गलत प्रचार

[edit]

लोक शब्दक अर्थ अछि, ‘लोक समाजक ओ वर्ग थिक जे आभिजात्य संस्कार, शास्त्रीयता आ पाण्डित्यक चेतना एवं अहंकारसँ मुक्त रहैत एकटा परम्पराक प्रवाहमे जीबैत अछि (हिन्दी साहित्यकोश, १९८५) । लोक भाषा, संस्कृति आ साहित्यकँे प्रतिनिधित्व आ बचाबमे ब्राह्मणेत्तर वर्गक योगदान अतूलनीय अछि । मुदा मैथिली साहित्यमे ब्राह्मणवादीकँे द्वारा ब्राह्मणेत्तरकँे वर्षौंधरि अछोपक श्रेणीमेँ राखल गेल अछि । एकरा प्रष्ट रुपसँ कहल जाए त  मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति पर ब्राह्मणवाद हावी अछि । तेँ मैथिली भाषा वषौंसँ पाछा अछि । कण्ठानुकण्ठ विकसित होमयवला काव्य–वाणीसँ भरल–पूरल अछि ब्राह्मणेत्तर मैथिली मुदा एकर लिखित रुप नहि भेलासँ ब्राह्मणवादी साहित्य मैथिलीभाषी क्षेत्रमे लोकगीतकँे रुपमे प्रचार कयल गेल अछि । एकटा उदाहरणकँे रुपमे ग्राम्य लोक–आस्थाक केन्द्र रहल ‘डिहबार बाबा’क महिमा गीत ‘ब्राह्मण बाबू यौ, कनियो कनियो होइयौ न सहाय....’ के लेल जा सकैत अछि । अहि गीतकँे व्याख्या करैत पत्रकार श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’ लिखैत छथि, ‘ गीतमे ब्राह्मण कहि डिहबारकेँ सम्बोधन कएल गेल अछि । आपत–विपत वा समस्या पडलाक अवस्थामे ब्राह्मण अर्थात राजाजी डिहबारकेँ सहारा बनबाक लेल विन्ती कएल जाएत अछि ’ (आङन, २०७५, पृ.९४) । प्रायः मैथिली भाषी क्षेत्रमे ‘बरहम बाबा’कँे रुपमँे सेहो संवोधन होयत आबि रहल ‘डिहबार बाबा’ गावसँ बाहरे भेटैत अछि । एकरा सर्वजातीय लोकप्रिय लोकदेवता मानल जाएत अछि । ब्रह्मासँ ‘बहरम’ आ बादमे ‘ब्राह्मण’ बनि गेल होयत, निराकार ब्रह्मा साकार आ सद्गुण बरहमक रुपमे मिथिलाञ्चलमे पूजित आ सम्मानित अछि (मैथिली संस्कृति, २०५६) । बहरम सँ बराहमन बनाओल गेल आ ओकरा गीतक रुपमे प्रचार कयल गेल बुझमामे किनको कोनो दिक्कत होएत से नहि बुझायत अछि । बरहम बाबा या डिहबार बाबा थानतर गबैवला किछु गीत सब अछि– ‘हाथ चलैत बिहुसैल छतिया ओ बराहमन बाबु, हाथ दुवु कमलक पटल ओ बराहमन बाबु...,’ ‘करिया मेघ चढि वैसल हो बराहमन सुगवा जकाँ मडरावैं......,’ ‘बरहामन बाबुकँे आङना चनन घन गछिया...,’ ‘मुखले जे खयलक हो बरहामन अछतकँे धनमा...,’ ‘तीन रंग घोडवा बरहामन सबुजे रंग वछेखा,’ ‘बराहामन बाबु भेल असबार....,’ ‘बेरी वरजौ मालिक बेरी आ ओही बाटे जयता बरहामन बाबु...’ (ऐऐ) सहितकँे बहुत लोकगीतमेँ उल्लेख कयल गेल निराकार दिहबार (बरहम)कँे लेल प्रयोग भेल शब्द कोनाकेँ अपभ्रंस भए ‘बराहमन(ब्राह्मण)’ बना देल गेल अछि । अहि गीत सभहक अपव्याख्या के पुष्टि तखन होयत अछि जखन बरहम बाबाकँे अध्र्य देबाक समय गाबैवला गीतमेँ लाल जनेउकँे प्रसंग अबैत अछि । ई गीत देखल जाए –


‘.........छोट बगिया लगायब, ओतअ फुलवा लोढाएव रोज दिन,

लाल जनेउ मङ्गायब, करिया छागर धुर बाहयब ।

(मैथिली संस्कृति,पृ.१३१)


‘....पानबिनु मुहमा मलिन भेल,

जनेउ बिन सुखल शरीर......।’

‘...भइया मोरा काटतै बरहामण टकुरी सँ मुनरिया,

बहिनी मोरा खेहैत रे जनेउ आ,

धनी मोरा रंगतै बरहामन पाटे सुत जनेउआ ।’

(मैथिली संस्कृति,पृ.१३२)

बरहम वा डिहबार बाबा सूर्य आ निरञजनकेँ प्रतीककेँ रुपमे सूर्यक स्वरुप आ संस्कारसँ मण्डित अछि । ओ निराकार अछि । मिथिला क्षेत्रमे कतौह बरहम बाबा त कतौह डिहबार बाबाकेँ रुपमे गामक तमाम लोकक आस्थाकँे केन्द्र अछि । सम्भवत :डिहबार थानमे माटिकँे पिढी मात्र भेटत । हाँ मिथिलाक पारम्परिक लोकमूर्तिकलामँे घोडा पर चढल बरहम बाबाक माटिकँे मुर्ति जरुर भेटैत अछि । जहिमँे कोमल कान्त मुखाकृति, माथ पर पगडी, सेरवानी धोती आ चमडाकँे जुत्ता लगाओल मुर्ति सिल्पी जाति कुम्हार समुदायकँे द्वारा बनाओल जाएत अछि । मिथिलाक विभिन्न मांगलिक कार्यमँे दिहबार स्थान पर चढाओल जाएत अछि (ऐऐ) ।

ब्राह्मणेत्तर समुदायकँे मैथिली संस्कृतिकँे बचाबमे महत्वपूर्ण योगदान सबदिनसँ अछि । मुदा ओ मिथिलामे हमेसा पाछा रहल अछि । धर्मक नाम पर दास बनाओल गेल अछि । आब भाषाक नाम पर दास बनाओल जा रहल अछि । पाणिनि व्याकरणक चर्चा मैथिली भाषाकँे लेल  करैवला सब ब्राह्मणेत्तरकँे भाषिक लय, शैली, बोली, कण्ठोच्चारकँे बाईपास करैत आबि रहल अछि । ई ब्राह्मणेत्तर समुदायकँे मैथिली मातृभाषाकँे दोसर भाषाक रुपमे प्रस्तुत करबाक प्रपंच मात्र अछि । सावधान आ सचेतना जरुरी अछि । ब्राह्मणेत्तर नहि शुद्ध नेपाली लिख सकत आ नहि मैथिली बाज आ लिख सकत त ओकरा सबहक भाषिक अधिकारक एकटा उलंघन नय भेल कि ?

लेखनीमे जातिकँे प्रभाव रहितै छैक, मुद्दा एकर अर्थ ई किन्नौह नहि जे ओकरा अपन स्तुतिगानमँे प्रयोग कएल जाय । शब्दके अपभ्रंस कयल एकटा अउर उदारहण देखियौं : मैथिलीमँे जे डाकवचनक संकलन–संपादन भेल अछि तकर अवस्था व्यक्ति पिच्छे फरक भेटैत छहि । डाकवचनक वनस्पति प्रकरणमे केरा रोपबाक प्रसंग आयल अछि । विद्वान कपिलेश्वर झा आ जीवानन्द ठाकुरक संकलनमँे ओकर प्रारम्भिक दू पाँती एहि प्रकार अछि–

कहए डाक तों सुनह रावन, केरा रोपी अखाढ सावन ।

तीन सय साठि जे केरा रोपए, आबि निचिन्त घरहि भए सुतए ।।(पृ.६७)


शशिनाथ झाक संग्रह मे ई पाठ अछि–

कहय डाक तों सुनह बाभन, केरा रोपी असाढ सावन ।

तीन सय साठि जे केरा रोपए, आबि निचिन्त घरहि भए सुतए ।।(पृ.३८)

ई उपर देल गेल दूटा फरक संग्रहकेँ मोहन भारद्वाजकँे ‘डाक–दृष्टि’ मे सुन्दर व्याख्या कएल गेल अछि । ओ लिखैत छथि–

ध्यान देबाक अछि जे शशिनाथ झाक पाठमे ‘रावन’ बदला ‘बाभन’ शब्द अछि । किएक ? ओ प्रायः मानैत छथि जे रावन राजा रहय, ओकरा केरा रोपबाक लेल कहब उचित नहि । तेँ शशिनाथ झा रावन केँ नहि, बाभन केँ सम्बोधित करैत छथि । मुदा, वास्तविकता से नहि अछि । वामन शिवराम आप्टे संस्कृत–हिन्दी कोश मे रावण शब्दक अर्थ लिखने छथि– क्रन्दन करयवला, चीत्कार करयवला । माने ई जे डाकक पद मे रावनक अर्थ अछि गरीब–गुरबा, दीन–हीन । उक्त पद एहने असहाय लोक केँ संबोधित अछि । एहिठाम रावण शब्दक प्रयोय अत्यन्त सटीक आ सार्थक अछि । तखन शशिनाथ झाक पाठान्तरक प्रसंग की कहल जाय ?(ऐ.ए.)

डाकवचनक रचना शुरु भेल दशम् शताब्दीमे । मौखिक स्तर पर । कालक्रमे पदक संख्या बढैत गेल । कपिलेश्वर झा(१९२४ ई) डाकबचनक के पहिल संकलक छथि । ई संग्रह लोककण्ठसँ कयल गेल छल, तेँ एहिमे संस्कृतसँ अनूदित वा प्रभावित रचना कम अछि । भाषा तथा लेखन–शैली सेहो लोकमानसक अनुकूल अछि(ऐ.ऐ.) । मुदा प्रचलित समयमे ब्राह्मणेत्तर लोकनिक मौखिक सामग्री सब बड कम भेटत, जे भेटल चिकनाय आ पोलिस कयल भेटत । ओ लोकमानसक आ ग्राम्य बासिन्दाक अनुकूल कम आ बजारमे रहैयवला मैथिली भाषाक दोकानदारीमे लागल लोक सबहक घाटानाफा के गणितमे ओझरायल बेसी भेटत ।

नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू सँ प्रकाशित बहुभाषिक अर्धवार्षिक पत्रिका सयपत्रीमें ‘मैथिली भाषा आ साहित्य :समस्य आ समाधान’ शीर्षक आलेख मे लिखल अछि, ‘ चौधम् शताब्दीकेँ महान ग्रंथ ज्योतिरीश्वरक ‘वर्णरत्नाकर’ मे अन्य नाच आ लोक बाजा सबकेँ चर्च कएल गेल अछि, परन्च ‘सलहेस नाच’ आ ‘ओरनी’ के चर्च नहि अछि(लोकनायक सलहेस, २०७०) । बहुत राश इतिहासविद्क मत छनि जे सलहेसक काल ओहूँ सँ पहिने शुरु भेल रहेक आ सलहेस नाच ओहेँ समय प्रचलन मेँ आयल होयत । इतिहासविद मणिपद्म पाँचम् वा छठम् शताब्दी मे सलहेसक जन्म भेल बात लिखने छथि । ओना त अहि विषय पर मतैक्यता नहि अछि । तईयो बहुमत विद्वानक मतकँे जौ मानल जाए त ज्योतिरीश्वर सँ बहुत पहिने  सलहेसक जन्म भेल रहल निस्कर्ष पर पहूँचल जा सकैत अछि । मादे, ‘दलित’ होमाक कारण हुनका ओहि समयमेँ अपन साहित्य रचनामे उल्लेख करबामे मनासिब नहि मानल गेल होए ?(सयपत्री, २०७५)

पदासिन लोकनिके भूमिका

[edit]

मैथिलीमे ब्राह्मणेत्तर लोकनिकँे अपन–अपन भाषा, शैलीमे सिखबाक–बुझबाक, लिखबाक आज्ञा नहि छैक । कथित ‘मानक जाति’ वला सभ ओकरा सबहक भाषाक मान्यता मैथिलीक रुपमे नहि दैत छथि । एकर पैघ उदाहरण सरकारी संचार माध्यम, छापा वा प्रकाशनमे कार्यरत समाचार वाचक, लेखक आ सम्प्रेषक तथा भाषा सम्पादक आ सरकारी पाठ्य पुस्तक लेखनमे ब्राह्मणेत्तर जातिकँे न्यायोचित स्थान नहि गेल तथ्यकँे लेल जा सकैत अछि । दिबिया नेसकँे खोजब तइयो नहि भेटत । हाँ, कतौह भेटियो जेताह त ओ ‘मुर्ति जका ठाड’ भेटत । ओ कोनो दुकानक ‘शोपिस’ मोडेलकँे भूमिकामे मात्र भेटत । पद आ कुर्सीकँे लेल अपन मान, प्रतिष्ठा आ ईज्जतकँे दाउ पर लगेबाक लेल आतूर भेटत । तेँ बहुजन लोकनि मैथिली भाषाप्रति उखरल स्वभावके बडबेसि भेटैत छथि । मिथिलामे बुद्धकँे निस्तेज कयल गेल बात आब पुरान भँ गेल । मुदा कोनो भी भाषाकँे समृद्ध आ सर्वमान्य बनेबाक लेल हुनक ई तथ्यगत बात बिचारणी विन्दू भँ सकैत अछि– ‘बुद्ध ब्राह्मण नहि, ब्राह्मण विचारधाराक विरोधी छलाह । संस्कृत भाषा नहि, धर्माचारमे संस्कृतक माइनजी हुनका अखरैत रहनि । तेँ ओ कोनो एकटा भाषाकेँ नहि, जनपदीय सभ भाषाकेँ समान मानलनि । एक बेर हुनक दू शिष्य हुनकासँ अनुरोध कयलथिन जे अपन धर्मोपदेशक भाषाकेँ वैदिक भाषामे निबद्ध करबाक अनुज्ञा देल जाए । एहि पर बुद्ध कहलथिन–भिक्षुगण, हम अपन वचनकेँ प्रत्येक व्यक्तिक अपन–अपन भाषा, शैलीमे सिखबाक–बुझबाक, लिखबाक आज्ञा दैत छी ’ (सयपत्री :१०६ः२०७५/डाक–दृष्टिः६०–६१ः२०१२) । कथित ‘मानक जातिक’ लोक सभ अहि बातकेँ कोना बुझत,  जौ ज्योतिरीश्वर जेहेन पण्डित नहि बुझिलथि । ओ अपन ‘सरोवरवर्णना’ मे लिखने छथि –बौद्धपक्ष अइसन आपात भीषण । तब कहूँ ब्राह्मणेत्तर बुद्ध मैथिली भाषी क्षेत्रमे कोनाकँे टिकत ? संसारभरि बुद्धकँे लाखौं अनुयायी भेटत मुदा मैथिली भाषि क्षेत्रमे बहुत कम, किएक ? ब्राह्मणेत्तरकँे प्रतिनिधित्व करैवला ग्रन्थ÷साहित्यकँे रचइता बुद्ध आ जैन सनक अहिंसाक पुजारी मैथिली भाषि क्षेत्रमे बहिष्कार भेल रहैक, अछि । मैथिली भाषाकँे शुद्धिकरणमँे लागैयबला लोक ‘कोन वृक्ष के पात’ छथि । अनर्गल प्रचार ककँे बदनामी करैत ओकर वहिष्कारक प्रपंच होइछै, होमे करत । ऐहन प्रपंच कएनिहार पाखण्डी आ मक्कार लोकसँ मैथिली के बचेबाक लेल आवश्यक अछि ।   

अन्त्यमे,

[edit]

‘संस्कृति’ शब्द ‘कृति’कँे आगा ‘सम्’ उपसर्ग लगेलाक बाद बनैत अछि । ‘संस्कृति’केँ अभिप्राय अछि, जकरा बनेबयमे आ आगा बढबयमे समाज’क सब वर्ग’क योगदान बराबर होय, जहिमे सबकँे समान सहभागिता होय, ओकरा लेल आवश्यक अछि जे समाजमे सब कियो बराबर होय आ प्रत्येककँे अपना पक्ष प्रस्तुत कएबाक लेल पूर्ण स्वतंत्रता होए । व्यक्तिकँे चारित्रिक विविधता सबकँे सम्मान करैत संस्कृति सदस्य इकाई सबकँे मन, विचार, रीति–रिवाजकँे सामंजस्यीकरणकँे काम करैत अछि, ताकि आगंतुक पीढि सब समाज’क आदर्श, रीति–रिवाज तथा ज्ञानानुभाव सबस“ लाभ उठा सकैह । मिथिला क्षेत्रमें पसरल विकृति आ विसंगिक हटेबाक हेतू संकटमोचककेँ आभावक कारण मैथिली अपन मूल बाट सँ भटैक गेल । सबगोटाके एक साथ लकेँ आगा बढबाक अनिवार्यता अछि ।

सन्दर्भ सामग्री :

  1. सत्य प्रकाश : प्रधान संपादक, दिसा, दि मेगा वार्षिकांक (वर्ष पुस्तक) २०१८, हिन्दी द्वितीय संस्करण,नयाँ दिल्ली(भारत), सन् २०१८)[6][1]
  2. महात्मा गांधी : सम्पूर्ण गान्धी वंशमय, प्रकाशक : प्रकाशन विभाग, सुचना और प्रसारण मन्त्रालय, भारतसरकार,भोल्युम २८, पृष्ठ ३६४, सन १९५८ )
  3. मधुमती : राजस्थान साहित्य अकादमी(संगम), भोल्युम २५, पृष्ठ ५८, सन् १९८६ ।
  4. डा.ललितेश मिश्र : पूर्व संकायाध्यक्ष, अंग्रेजी विभाग, बीएन मंडल विश्वविद्यालय, स्रोत :जागरण डट कम, १२ सेम्टेम्बर २०१७ ।  
  5. मोहन भारद्वाज :डाक–दृष्टि, मैथिली लोक रंग(मैलोरंग) दिल्ली भारत , २०१२
  6. डा.रामावतार यादव : मैथिलीक भाषिक वैविध्य : औपभाषिक ओ मानक स्वरुप,जिज्ञासा, वर्ष–४,अंक–६, १९९९ पृ.७५)
  7. हिन्दी साहित्यकोश भाग–१ :ज्ञानमंडल लिमिटेड, वाराणसी, १९८५,पृ.७४७
  8. वामन शिवराम आप्टे : संस्कृत–हिन्दी कोश, मोतीलाल बनारसीदास, दिल्ली, २००१,पृ.९१०
  9. डा.रामदयाल राकेश :नेपाल राजकीय प्रज्ञा–प्रतिष्ठान, कमलादी, काठमाडौं,२०५६(प्रथम संस्करण),पृ.१२७–१३२)
  10. पोल आर ब्रास : ल्याङ्गवेज, रीलीजन एण्ड पोलिटिक्स इन नोर्थ इण्डिया, १९७४, पृ.६८)
  11. दिनेश यादव :सयपत्री (बहुभाषिक अर्धवार्षिक पत्रिका), प्रकाशन : नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, शीर्षक : ‘मैथिली भाषा आ साहित्य :समस्य आ समाधान’ पूर्णाङ्क–३५–३६(संयुक्ताङ्क), २०७५,पृष्ठ –७६)
  12. श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’ : आङन, ‘ग्राम्य लोक–आस्थाक केन्द्र :गामक राजा डिहबार’, प्रकाशक :नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू,  २०७५, पृ.९३–९४
  13. दिनेश यादव :आङन, ‘भाषिक पत्रकारिताः चुनौति आ समाधान’, प्रकाशक :नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, २०७५, पृ.४० ।
  1. ^ "ब्राह्मणेत्तर मैथिलीः विश्लेषण आ संश्लेषण". A blog by DINESH YADAV. 2020-01-05. Retrieved 2020-05-17. {{cite web}}: |first= missing |last= (help)CS1 maint: url-status (link)
  2. ^ "सप्तरी जिल्ला", विकिपिडिया, 2019-03-06, retrieved 2020-05-17
  3. ^ "नंदकिशोर आचार्य के काव्य का भाषिक और साहित्यिक वैशिष्ट्य : नई सदी के विशेष संदर्भ में". RIVISTA. 1 (1): 25–34. 2017-07-12. doi:10.26476/rivista.2017.01.25-34. ISSN 2529-7953.
  4. ^ "नंदकिशोर आचार्य के काव्य का भाषिक और साहित्यिक वैशिष्ट्य : नई सदी के विशेष संदर्भ में". RIVISTA. 1 (1): 25–34. 2017-07-12. doi:10.26476/rivista.2017.01.25-34. ISSN 2529-7953.
  5. ^ ""Kath Tatha Kastha-Pravidhima" Prayojanparak Engineering Bhashik Bhed Ek Adhyayan "काठ तथा काष्ठ प्रविधिमा" प्रयोजनपरक इन्जिनीरिंग भाषिक भेद एक अध्ययन". Journal of the Institute of Engineering. 2018-06-04.
  6. ^ "भारत और गुटनिरपेक्ष नीति". Journal of Advances and Scholarly Researches in Allied Education. 15 (3): 246–249. 2018-05-01. doi:10.29070/15/57624. ISSN 2230-7540.